गोपालगंज : संदिग्ध हालत म' 12 लोगक मौत, जहरीला शराब पीबाक आशंका

गोपालगंज। 17 अगस्त। गोपालगंज म' संदिग्ध अवस्था म' 12 लोगक  मौत भ' गेलन्हि संगहि 4 लोग गंभीर रुपे बीमार छैथ। मानल जेँ रहल अछि ई मौत जहरीला शराब पीबाक  वजह सँ भेल अछि। ओना आधिकारिक रुपे एखन धरी किछ पुष्टि नै भेल अछि। कहल जे रहल अछि कि बिहार म' शराब पर पाबंदी केँ कारण केसक डर सँ परिवारक लोग सभ जल्दबाजी मेँ शव केँ अंतिम संस्कार क देलन्हि।

डीएम राहुल कुमार द्वारा पूरा मामला केँ जांच करबाक लेल तीन सदस्यीय कमेटी केर गठन कायल गेल अछि। डीएम खुद देर राति अस्पताल पहुंच मामला के जांच केलाह।  पूरा मामला म' पुलिस प्रशासन आर सदर अस्पताल केँ चिकित्सक सभ द्वारा जहरीला शराबक सेवन केँ  पुष्टि नै भेल अछि। घटना केँ बाद सँ प्रशासन केँ एक टीम सदर अस्पताल म' कैंप क' रही अछि।

मृतक सभक पहचान नगर थाना केँ नोनिया टोली निवासी परमा महतो (54), मंटू गिरी (34), शशिकांत महतो (24) सरेया मोहल्ला केँ  दिनेश महतो (40), मांझाक मझवलिया केँ उमेश चौहान (34), हरखुआ निवासी रामजी शर्मा (46) , थावे थाना क्षेत्र केँ विदेशी टोला निवासी मनोज साह (23), श्याम सिनेमा रोड केँ रामु राम (24), थावे थानाक अमेठी गाम केँ अनिल राम (31) आर सिधवलिया केँ सुरहिया गामक झमिन्द्र महतो (29)  शामिल छैथ।

एखनो कैको एहेन बीमार लोग छैथ, जिनका निजी अस्पताल म' भरती कराओल गेल अछि। मृतक सभक संख्या एखन आर बैढ़ सकैत अछि।  परिजन सभक मुताबिक कैल्ह मंगलवार दिन एहि सभ गोटा केँ दुपहर सँ पेट मेँ दर्द आर उल्टी भेल छल जाहि केँ बाद सभ क' गोपालगंज सदर अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ