गूरकुनमा केर विवाह ठीक भेल छलैक ! से ओकर बाबू सबकैं वरयाती जयवाक लेल कहैत छलखिन !
हउ जी बाबू के एहन बूड़िबक होयत जे वरयाती जयवा'क लेल कहतहि आ ओ नहि जायत ?
अदो कालक एक गोट कहबी छैइक :- मारी मुह खेती कैंऽ जाँउ सूतरय पहुनाई !
परंच बात तऽ एतय किछु उलटे देखलियहि जखन ओ (गूरकुनमा'क बाबू) ललटूनमा कैंऽ कहय लेल गेलखिन जे काल्हि गूरकुनमा केर विवाह थिकैक से वरयाती चलियहक !
ललटूनमा'क जबाव छलैक जयवा मे तऽ कोनो हर्ज नहि परंच मुख - शुद्धि केर व्यवस्था हेवा'क चाहि !
गूरकुनमा'क बाबू :- हउ मुख - शुद्धि तऽ भोजनक उपरांत भेटबे करतह एहि मे पूछय बला कोन बात छय ?
अहाँ जे मुख - शुद्धि ( पान सूपारी ) बुझि रहल छियैक हम ओहि मुख - शुद्धि'क बात नहि करैत छी ललटूनमा बाजि उठल !
गूरकुनमा'क बाबू तखन तों कोन मुख - शुद्धि केर बात करैत छ हउ ?
हेंऽ हेंऽ हेंऽ - - अहाँ' कैंऽ फोलि'क कोना कहब हम ललटूनमा अपन बात पूनः रखलक !
हउ जी कहबऽ नहि तखन कोना बुझबय से तोंही कहऽ तोरा सब जकाँ हम नहि ने समूद्री पढ़ने छी जे लोकक मोनक बात बुझि जेबय ?
ललटूनमा :- अहाँ एखन धरि नहि बूझलियहि , यउ सरकार जकरा सगर राज्य भरि मऽ बन्न कऽ देनय छहि हम ओहि मुख - शद्धि कऽ बात करैत छी !
तऽ कहऽ ओ हम कतय सऽ आनब हउ ? आ हम एहने काज करब जे जाहि संऽ - - - ? तोरा जेबाक छऽ तऽ चलियह नहि तऽ तोहर अप्पन विचार ? एतेक बात कहैत गूरकुनमा'क बाबू ओतय सऽ विदाह भऽ गेलाह - - - - !

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।