लूटउ तोहर चैन चाहै
वा मटकउ तोहर नैन
कह किया नहि हम मुस्कि मारब
कि तोरा कहने हम आँचर सम्हारब !
नजरि'क बाण किया होय छउ हिया पार
चल पहिने तूं बउआ अपन दिल कैंऽ सम्हार !!
कह किआ नहि हम मुस्कि मारब,
कि तोरा कहने - - - -
इ तोहर छउ आदति खराब
बउआ अपन तों आदति सुधार !
देखि - दिखि हमरा झिटकी नहि मार,
कहि बाबू संऽ उतरबा देबउ नेहक बोखार !
कह किआ नहि हम मुस्कि मारब,
कि तोरा कहने - - - - -
एहि कोयली'क बोल लगतउ,
तोरा हिया मे आब गोली सन !
सपने तोरा रहतउ बउआ लागल
आयव हमर घर तोहर, डोली'क संग !
बाट घाट जूनि एना तों हमरा आँखि मार ,
कि सोचतहि कह इ सगर जिला - जवार !
कह किआ नहि हम मुस्कि मारब !
कि तोरा कहने - - - - -
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।