मैथिल सेवा संस्थान केर मैथिलक नाम एक पाती

नमस्कार बन्धुगण,

बन्धुगण, जेना की अपना सब गोटा निक जोका बुझैत छी बाढ़ि (Flood) मिथिलाक लेल अभिशाप थीक। हर बरख एहि अभिशाप सँ मैथिल जनमानस  अभिशापित होयत छथ। वर्षा ऋतूक आगमन टा केर देरी की सभ मैथिल बाढ़ि केर नाम मात्र सँ डरा जायत छथ। 

मिथिला म' हर बरख बाढ़ि काल बैन के आबैते टा अछि। ओहि कालक भय मिथिला वासी सँ बेसी कियो की बुझता। बाढ़ि देशक कैको हिस्सा म' आबैत अछि, मुदा संसाधनक अभाव म' सभ सँ बेसी बाढ़ि सँ हम सब मैथिल प्रभावित होयत छी। 

नवयुवा सभक नव सोच सँ ठाढ़ भेल संस्था 'मैथिल सेवा संस्थान' जकर एक मात्र उद्देश्य असहाय मैथिलक सहयोग करब अछि, एहि वर्षा ऋतू म' पहिने सँ बाढ़ि सँ पीड़ित मैथिलक लेल सहयोग शिविर लगेबाक तैयारी क' रहल अछि।

संस्था किछ दिन पहिनो पटोरी, जिला - दरभंगा म' ऐगलगी सँ प्रभावित मैथिलक सहयोग लेल  एहि तरहक शिविर केर आयोजन क' चुकल अछि। जकर विस्तृत जानकारी एहि लिंक:  पटोरी अग्निकांड (ऐता क्लिक करू)  पर उपलब्ध अछि। 

मित्रगण, पटोरी बला सहयोग शिविर म' अपने लोकैन जहिना संस्था के सहयोग केलहुँ आउ, सभ मिल ओहिना आपसी सहयोग सँ बाढ़ि सँ पीड़ित मैथिलक सहयोग लेल सहयोग शिविर लगेबाक प्रयास करी। 

ई शिविर केहेन होबाक चाहि संगे अपने एहि शिविर लेल कुन तरहक सहयोग करब अपने सभक सुझाव आमंत्रित अछि। 

अहाँ अप्पन सुझाव एहिठाम या फेर संस्थाक ईमेल : info@maithilsevasansthan.org ,  व्हाट्सएप नंबर: +91 9430080515, 9546639240, 9135269991, 7385217101 पर द' सकैत छी। 

नोट : मैथिल सेवा संस्थान सदिखन पारदर्शिताक संग काज केना अछि आर आगुवो करत ताहि लेल आउ टीम - मैथिल सेवा संस्थान के हिम्मत बनी ठाढ़ होऊ। 

धन्यवाद..

जितमोहन झा (जितु)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान
ईमेल : info@maithilsevasansthan.org 
मोबाइल : +91 7666817725

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ