तेजस्वी यादव के व्हाट्सएप सँ सड़क केर शिकायत हवा-हवाई, ई देखू सबुत

सहरसा। 5 जुलाई। उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव द्वारा  एक नंबर " +91 9470001346 " सुरु करैत पूरा बिहार वासि सँ अपील कायल गेल छल कि अप्पन एरिया के खराब सड़क केर फोटो व्हाट्सएप नंबर पर भेजु हम अपनेक सड़क बनबा देब। सच पुछु तेँ सरकार सिर्फ हवा हवाई आर अखवार, चैनल टामेँ बिहारक विकास क' रहल अछि।

दावा तेँ बड़का - बड़का कायल जायत अछि, मुदा सच्चाई कोसो दूर अछि। उपमुख्यमंत्री जी व्हाट्सएप केर जे नंबर सुरु केलाह, ओहि नंबर पर "सिमरी बख्तियारपुर-सहरसा- खगरिया एनएच 107 केर जर्जर सड़कक  फोटो 3 जुलाई क' भेजल गेल छल। आश्चर्यक  गप इ जे सड़क बनेनाय ते दूर एखन धरी व्हाट्सएप पर ओहि फोटो क' देखल तक नै गेल अछि। एहि सँ बुईझ सकैत छी बिहार म' सिर्फ घोषणा केर सरकार अछि।बस पेपर, चॅनल म' पढ़ी लिआ अपनेक विकास भ' गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ