स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप यादव भरल सभा म' पत्रकार क' देलाह धमकी, वीडियो मिटा दिअ नैते...

पटना। 6 जुलाई। लालू प्रसाद केर बेटा आर बिहार केर स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप यादव सार्वजनिक रूप सँ एक राष्ट्रीय अंग्रेजी समाचार चैनल केर एक पत्रकार क' धमकी देलाह कि अगर ओ (मंत्री केर) वीडियो नै मिटेताह तेँ  हुनका खिलाफ अदालत म' मामला दायर करब। हम अहाँक सम्मान करैत छी, किएक जे अहाँ (पत्रकार) प्रेस सँ छी। वीडियो मिटा दिअ, नै तेँ हम अहाँक खिलाफ मनहानि केर मामला दायर करब। तेज प्रताप ई बात ओहि  समय बजलाह जखन पत्रकार लालू प्रसाद सँ मंच पर रिकॉर्डिंग केर  बारे म' बात करैत छलाह।

तेज प्रताप केर  व्यवहार सँ मीडियाकर्मी नाराज भ' समारोह छोड़बाक लेल ठाढ़ भ' गेलाह। जाहि के बाद पार्टी केर नेता सभ हस्तक्षेप करैत नाराज पत्रकार सभ के शांत केलाह। ई मामला ओय समय शुरू भेल जखन पत्रकार द्वारा प्रदेश पार्टी मुख्यालय म' स्थापना दिवस समारोह केर दौरान तेज प्रताप क' मंच पर एक कैमरा पर फोटो देखैत अप्पन मोबाइल फोन सँ किछ सेकेंडक वीडियो बनाओल गेल छल।

एहि केर बाद किछ लोग पत्रकार लग आइब हुनका वीडियो मिटेबाक लेल कहला लेकिन पत्रकार एहि सँ मना क' देलखिन। एहि पर लालू प्रसाद द्वारा  पत्रकार क' मंच पर बजाओल गेल आर नम्रतापूर्वक वीडियो मिटेबाक लेल कहल गेल छल। जखन पत्रकार बजलाह कि वीडियो म' किछो गलत  नै अछि, तेज प्रताप नाराज भ' गेलाह आर पत्रकार क' धमकी धमकी द' देलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ