
मुजफ्फरपुर में पत्रकार स बात करैत कहला जे फ्रान्स में भेल आतंकी हमला ओ बहुत दुखद छल ओहि पर दुःख जतेलैन्ह आ कहलैन्ह जे यूरोप बहुत देरी स आतंक के समझलैन्ह,जाबत तक पाकिस्तान स आतंक मुक्त नै हेत दुनिया स आतंक के खात्मा नहीं हेतै।।
शहनबाज हुसैन पाकिस्तान सरकार पर निशाना सधैत कहलैन्ह जे पाकिस्तान सरकार आ ओतय के सेना आतंक के फैक्ट्री बनबै में लागल छैथ आ पाकिस्तान आतंकिस्तान भ चुकल अइछ, मीडिया सं बातचीत करैत शहनबाज हुसैन कहलैन्ह जे दुनिया के पहिल आतंकबादी पाकिस्तान पैदा केलक आ ओकर पहिल शिकार भारत बनल।।
शहनबाज हुसैन कहलैन्ह जे भारत दोस्ती निभाबै चाहैत छैथ आ पाकिस्तान दुश्मनी, पाकिस्तान के दोगली निति के करारा जबाब भारत देत आ साथे नौजबान सं अपील केलैन्ह जे पाकिस्तान के बहकाबा में नै आबैथ आ आईएस के खिलाप मजबूती स लड़ाई करइ के जरुरत छै आ साथे कहलैन्ह जे भारत के मुस्लमान के प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर पूरा भरोषा छैक।।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।