विजेंदर सिंह ऑस्ट्रेलिया क केरी होप क हरा केँ डब्ल्यूबीओ एशिया पैसिफिक सुपर मिडलवेट चैंपियनशिप जीतला।विजेंदर सिंह अपन प्रतिद्वंद्वी क 274 के मुकाबला 296 अंकों स हरेला। 30 साल क विजेंदर 10 राउंड क फ़ाइट म शुरुआत म ऑस्ट्रेलिया क कैरी होप क बढ़त लै के मौके नै देला।दोसर और 34 साल के होप कम नै छल।लंबा मुकाबला के देखैत दुनु बॉक्सर एक दोसर पर काम अटैक केला, लेकिन दोसर राउंड म विजेंद्र सिंह जी किछ नीक पञ्च मारला। लेकिन तेसर और चारिम राउंड म होप किछ फुर्तीला बनल, लेकिन विजेंदर क पंच से ओ नै बच पेल। कॉमनवेल्थ गेम्स 2010 क बाद पहली बार दिल्ली में घरेलू फ़ैन्स क सामने लरल विजेंदर और होप के बीच पांचवां राउंड म कड़ा मुक़ाबला भेल, लेकिन छठा राउंड म विजेंदर हावी रहल।
सातवां और आठवां राउंड म दुनु मुक्केबाज थाकल नज़र एल, लेकिन एक-दोसर पर अटैक करैत रहल। दर्शक सब स भडल स्टेडियम म नौवां राउंड म होप डिफ़ेंस पर ज़्यादा ध्यान देलक त आख़िरी राउंड म विजेंदर क पंच जारी रहल।
आख़िरी बाज़ी विजेंदर क हाथ रहल और विजेंदर होप के सपना क धाराशायी के देलक। जज सब सेहो एकमत स विजेंदर क विजेता घोषित केलक और एकर बाद साथ म विजेंदर WBO एशिया पैसिफिक सुपर मिडिल वेट खिताब अपन नाम केलक।
विजेंद्र सिंह के ई विजय क लेल प्रधानमंत्री सहित बहुत दिग्गज खिलाड़ी सब बधाई देलक।
ऐ उपलब्धि के लेल भारतीय मुक्केबाज क संपूर्ण भारत क तरफ स ढेरो शुभकानाएं।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।