सहरसा-मानसी रेल खंड केँ बीच रेल परिचालन ठप, बचाव काज तेज भेल, कैको ट्रेन रद्द, कैको ट्रेन टर्मिनेट कायल गेल अछि

सहरसा। 25 जुलाई।  सहरसा-मानसी रेल खंड केँ बीच रेल परिचालन ठप भेला सँ कैको ट्रेन अचानक रद क' देल गेल अछि। जाहि कारणे रेल यात्रि सभक बिच प्रशासन केर अधिकारि सभक प्रति आक्रोश उत्पन्न भ' गेल छैन्ह। फनगो कटाव स्थल पर कोसी नदी केँ तेज धारा केर कारण रेल पटरी सेँ कोसी नदी केर दूरी मात्र 2 मीटर रही गेल अछि। रेल सूत्र केँ मानी तेँ रेल पटरी के बगल मेँ सुरक्षात्मक कार्य म' ढिलाई करबाक   कारण पटरी के भितरे - भीतर पैन एहीपार सेँ ओहीपार भ' रहल अछि, जहि कारणे पटरी केर नीचा केँ माँटि हिला लागल अछि।

पटना सहित अमृतसर व दिल्ली जाय बला ट्रेन रद्द...

सहरसा सँ पटना के बीच चलाई बला 12567 राज्यरानी एक्सप्रेस, सहरसा सँ अमृतसर के बीच चलाई बला 12204 गरीब रथ आर सहरसा सँ आदर्शनगर दिल्ली के बीच चलाई बला 15279 पुरबिया एक्सप्रेस, सहरसा अमृतसर के बीच चलाई बला 15531 जनसाधारण एक्सप्रेस, सहरसा समस्तीपुर के बीच चलाई बला 55555 आर 55567 सवारी गाड़ी अगला  आदेश तक रद्द कायल गेल अछि।

कैको ट्रेन टर्मिनेट कायल गेल अछि...

18697 कोसी एक्सप्रेस सहरसा-पटना केँ बजाय आब सहरसा सँ पूर्णिया कोर्ट केँ बीच चलाओल जायत। 15283 जानकी एक्सप्रेस जयनगर केँ बजाय आब  सहरसा सँ कटिहार केँ बीच चलाओल जायत। 55566 समस्तीपुर -सहरसा पैंसेजर ट्रेन आब खगडिया सँ समस्तीपुर केँ बीच चलाओल जायत। 12576 जनसेवा एक्सप्रेस बरौनी-सहरसा रद्द भ' गेल अछि । 15209 जनसेवा एक्सप्रेस सहरसा अमृतसर केँ बजाय आब बरौनी सँ अमृतसर केँ  बीच चलाओल जायत। 05583 श्रावणी स्पेशल मेला स्पेशल ट्रेन मानसी सँ भागलपुर केँ बीच चलाओल जायत। 05584 श्रावणी स्पेशल भागलपुर - सहरसा रद्द भ' गेल अछि। 12204 गरीब रथ एक्सप्रेस खगडिया सँ अमृतसर केँ बीच चलाओल जायत। सहरसा-सियालदह केँ बीच चलाई बला 13169 हाटे बजारे एक्सप्रेस मानसी-खगडिया सँ चलाओल जायत। 55566 सहरसा-समस्तीपुर पैसेंजर ट्रेन आब  खगडिया सँ समस्तीपुर केँ बीच चलाओल जायत।

प्राप्त सुचना केर मुताबिक़ 29 बोगी बोल्डर कटाव स्थल पर पहुँचल अछि। संगहि बचाव काज मेँ तेज़ी देखल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ