मधुबनी। 25 जुलाई। अड़ेर थाना केँ अतरौली गाम म' दहेजक लेल पति, सास, ससुर व ननद द्वारा प्रताड़ित करवा सँ तंग भ' अर्चना देवी 21 बरख कैल्ह रविवार दिन अप्पन नैहर अतरौली मेँ महादेव मठ केर निकट मोइन मेँ डूबी केँ अप्पन जीवन लीला समाप्त क' लेलिह।
जानकारी केर मुताबिक अतरौली गामक जयगोविन्द झा बेनीपट्टी थाना केर देपुरा गाम निवासी मुकेश झा केँ संग अप्पन बेटी अर्चना के बियाह 28 अप्रैल 2016 केँ केना छलाह। बियाह केँ बाद दुरागमन भ' अर्चना अप्पन सासुर चल गेलीह। अर्चना क' पति संगे सासुरक लोग सभ द्वारा दहेजक लेल बारम्बार प्रताड़ित कायल जायत छलनी।
अर्चना मधुश्रावनी व पंचमी पूजाक लेल कानपुर सँ अप्पन नैहर अतरौली पांच दिन पहिने आयल छलीह। नैहर अयबाक दौरान अर्चना केँ पति व सासुरक लोग सभ बियाह म' भेटल जेवर ल' के नै आबे देलखिन। अर्चना अप्पन पति व सास क' पंचमी व मधुश्रावनी पूजा मेँ पहिरबाक लेल जेवर मांगलखिन मुदा सभ लोग जेवर देवा सँ इंकार करैत डूबी केँ मारबाक गप कहलखिन। जाहि सँ दुःखी भ' अर्चना एहेन कठोर डेग उठेली।
नैहर मेँ माई - बाबूजी आर आन लोग अर्चना केरखोजबीन शुरू केलनि मुदा अर्चना नै भेटलि। खोजबीन केँ दौरान सभक नज़र अर्चनाक दुनु पैरक चप्पल पर परलैन जे मोइन लग परल छल। शंका भेला पर मोइन मेँ खोज शुरू करबा पर अर्चनाक शव मोइन म' भेटलनि। अड़ेर थानाध्यक्ष किशोर कुणाल झा कहला कि शव क' पोस्टमार्टम लेल भेजल गेल अछि। प्राथमिकी दर्ज करि जांचक प्रक्रिया शुरू क' देल गेल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।