~ हेऽ हेऽ हेऽ
~ कि भेलहु गऽइ
~ तार जकाँ भऽ गेलय ! भगवान एकरा बुद्धि कहिया देथिन से नहि कहि ?
~ कि भऽ गेलउ जे तूँ एना माँथा पर हाथ दऽ देलहि ?
~ कि होयत ? एँऽ रउ तोरा एतेक खयवा'क लेल अतराहित भेल जाइत छलहु ?
~ तऽ कि एखन नहि खयवाक चाहि कि ? हम प्रसाद देखलिए तऽ मुँह मऽ दऽ देलिए ! एहि मऽ कि गलती कऽ देलिए से कह ?
~ हरउ खैयवा'क लेल ने खीर - घौरजौर बनेलिए कि फेकय लेल ? मुदा पहिने तोरा नीम - नेबो लेवा'क चाही ने ?
~ नेबो तऽ ठीक छय मुदा नीम हमरा नय अरघैत अछि ! ओना जे नीम - नेबो नहि लेतय तऽ कि भय जेतैक ?
~ एहन गप लोक नहि बजैत अछि ! नीम सऽ बिषहारा'क दाँत तीत होइत छैन्ह आ नेबो संऽ दाँत कोथ !
~ खेबय हम आ दाँत हुनकर कोना कोथ हेतनि !
~ एहन लोक मानैत एलहि अछि ! अपन सबहक परंपरा छैइक तांय हमहु सब मानैत छी !
~ बेस तखन ला खाऽ लैत छी !
धन्य इ परंपरा
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।