नेपाल म' भारी बारिश, गोपालगंज म' बाढ़िक खतरा, प्रशासन अलर्ट

गोपालगंज। 27 जुलाई। नेपाल म' भारी बारिश केँ कारण सँ बिहार केर आन जिलाक बाद गोपालगंज मेँ सेहो बाढ़ीक खतरा मंडरा रहल अछि।  बाढ़िक स्थिति देखि गोपालगंज केर  डीएम राहुल कुमार जिला मेँ हाई अलर्ट जारी क' देलन्हि। जिला केँ बाढ़ि संभावित 6 प्रखंड मेँ अधिकारि सभक टीम तैनात कायल गेल अछि।

डीएम खुद जिला केँ दियारा इलाका मेँ पहुँच ग्रामीण सभ सँ निचला इलाका  छोइर ऊंच जगह पर बनाओल गेल शिविर म' जेबाक अपील केलाह। एनडीआरएफ केँ सेहो संभावित इलाका म' तैनात कायल गेल अछि। अनुमानक मुताबिक, नेपाल म' भारी बारिश केँ बाद वाल्मीकि नगर बैराज सँ पांच लाख क्यूसेक स' बेसी पैन छोड़बाक संभावना अछि।

दरअसल, नेपाल म' पिछला तीन दिन सेँ होय बला बारिश बिहारक लेल  परेशानी केर सबब बैन सकैत अछि। जलस्तर केँ बढला सँ नदी केर आस - पास खाश करीकेँ दियारा इलाका म' जनजीवन बहुत अस्त-व्यस्त भ' गेल अछि।

डीएम राहुल कुमार कहला कि, नेपाल केँ तराई क्षेत्र म' 305 एमएम सँ बेसी बारिश भेल अछि। जाहि केँ कारण सँ बैराज सेँ भारी मात्रा म' पैन छोड़बाक संभावना अछि। डीएम लोग सभ सँ अपील केलन्हि कि, कुनु भी तरहक अफवाह सँ बचबाक प्रयास करि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ