सहरसा। 27 जुलाई। फनगो हाल्ट पर कटाव केँ कारण रेल परिचालन बंद भेला सँ कोसी म' दूधक लेल हाहाकार मचल अछि। दूधक लेल कोसी प्रमंडल मुख्यालय समेत मधेपुरा आर सुपौल फरकिया पर निर्भर अछि।
चारि दिन सँ ट्रेन बंद रहबाक कारण जते हजारो दुग्ध विक्रेता सभक व्यवसाय बुरी तरह प्रभावित भेल छैन्ह, आते बाजार मेँ दूध केर भारी किल्लत भ' गेल अछि। पैकेट बंद दूध बिक्रेता सभ लग लोग दूधक लेल अग्रिम राशि जमा क' रहल छथि।
सहरसा आर खगड़िया केँ मध्य अविस्थत फरकिया सँ प्रतिदिन चालीस हजार लीटर दूध आबैत अछि। फरकिया केँ दूधक नदी कहल जायत अछि। जिला केँ साम्हरखुर्द, अलानी, कबीरपुर, धम्हाराघाट, रैठी, कामाथान, सौथी, भिरखी, चिकनी, सरवजिता, खरहोरिया, खगड़िया जिला केँ ठुठ्ठी मोहनपुर, बुच्चा, सरसवा, रोहियार जेहेन दर्जनों गामक लोग केर जीवन-यापन दूध व्यवसाय सँ चलैत छैन्ह, मुदा दुर्भाग्य कही कि आजादी केँ सात दशक बितलाक बादो एहि गामक लोग सभ केँ यातायातक एकमात्र साधन रेल अछि। आवागमनक लेल सड़क केर सुविधा एखनो नै अछि।
फलस्वरुप रेल परिचालन बंद भेला सँ हिनका सभक जिनगी थमी गेल छैन्ह। फरकिया सँ आबै बला 40 हजार लीटर दूध केँ अलावा प्रतिदिन 20 हजार लीटर पैकेट बंद दूध केर खपत होयत अछि। ट्रेनक परिचालन बंद भेला सँ दूधक भरपाई नै भ' रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।