बताओल जे रहल अछि कि कदवां मेँ जहिना लोग सभ बांध काटबाक तैयारी शुरू केलनि, पुलिस द्वारा रोकबाक कोशिश कायल गेल, मुदा स्थानीय लोग सभक पुलिस संग भिड़ंत भ' गेल। पुलिस केँ लाखो प्रयासक बावजूद स्थानीय लोग बांध काटी देलन्हि। जाहि सँ पैन तेज़ी सँ बाहरी इलाका दिस पसैर गेल।
बांध काटबाक गप पर बांधक भीतर आर बाहरी हिस्सा म' रहनिहार लोग सभक बिच झगरा भेलाक सुचना सेहो अछि। स्थानीय लोग द्वारा बांध काटबाक कवरेज करबाक लेल पहुँचल मीडियाकर्मी सभक कैमरा छीन पैन मेँ फेक देल गेल। एहि घटना केँ कारण क्षेत्र म' तनाव केँ माहौल अछि। महानंदा केँ जलस्तर तेजी सँ बढ़ी रहल अछि।
पैनक बहाव तेज भेला सँ कदवा आर डंडखोरा प्रखंड क' पूरा तरहे बाढ़ि केर चपेट म' अयबाक आशंका अछि। लोग सभ सुरक्षित स्थान दिस की पलायन शुरू क' देना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।