वाट्सएप सँ सड़क सुधार, मैसेज सँ उड़ल अधिकारि सभक नींद

पटना।  7 जुलाई। लोक निर्माण मंत्री तेजस्वी यादव द्वारा राज्य म' सड़कक  दशा सुधारबाक लेल वाट्सएप  नंबर जारी कायल गेल छल, जाहि पर शिकायत केर बाढ़ि आइब गेल। तेजस्वी यादव द्वारा जारी कायल गेल नंबर पर चारि दिनक भीतर 9 हजार सँ बेसी नंबर स' करीब 25 हजार मैसेज आर फोटो शिकायत आयल। जाहि मैसेज आर फोटो केर जांच करबा म' अधिकारी सभक पसीना छुइट गेल।

वाट्सएप केर माध्यम सँ कतेक सड़कक सुधार होयत अछि ई ते देखा परत मुदा  एक बात साफ अछी उप मुख्यमंत्रीक एहि पहल केर लोग खूब स्वागत कयलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने