आब रेलवे टिकट लेल जरुरी होयत आधार कार्ड

दिल्ली। 7 जुलाई। जल्दे  रेलवे टिकट बुक करबाक लेल आधार कार्ड जरुरी भ' जायत। सूत्र केर अनुसार भारतीय रेलवे द्वारा यात्री टिकट सेवा क' आधार कार्ड सँ जोड़बाक लेल पूरा तैयारी क' लेल गेल अछि। रेलवे अधिकारि सँ पता चलल जे एहि योजना केर उद्देश्य टिकटक कालाबाजारी पर रोक लगायब अछि। सूत्रक अनुसार एहि योजना क' 2 चरण म' लागू कायल जायत। पहिल चरण म' वरिष्ठ नागरिक, फ्रीडम फाइटर आर  दिव्यांग सभ जोका आरक्षित छूट केर लेल आधार कार्ड जरूरी कायल जायत।

रेलवे मंत्रालय के एक वरिष्ठ अधिकारी केर मुताबिक पहिल चरण के लेल  नीति 15 दिन म' स्वीकार आर लागू भ' जायत। दोसर चरण म' लगभग 2 मास लागत। दोसर चरण म' रेलवे केर सभ सेवा क' आधार कार्ड सँ जोड़ल जायत। शुरूआत म' आधार कार्ड के जरूरत सिर्फ आरक्षित टिकट बुक करबाक लेल होयत लेकिन बाद म' एहिके सभ प्रकारक टिकट लेल  अनिवार्य कायल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ