ईद के संग आय नमामि गंगे परियोजना केर शुभारंभ

बक्सर। 7 जुलाई। देश म' नमामि गंगे योजनाक अहम चरण केर शुभारंभ  आय भ' रहल अछि। बिहार म' एहि योजना केर शुरूआत बक्सर सँ होयत।     बक्सर म' एहि योजना केर शुरूआत केंद्रीय मंत्री रामकृपाल यादव आर स्थानीय सांसद अश्विनी चौबे केर उपस्थिति म' होयत।

बक्सर के गंगा घाट पर केंद्रीय मंत्री एहि योजना के शुरूआत करताह।  नमामि गंगे योजना केर तहत दू हजार करोड़ टक्का केर लागत सँ 300 परियोजना सभक  शुरुआत होबे जे रहल अछि। हरिद्वार म' एहि  परियोजना केर शुभारंभ जल संसाधन मंत्री उमा भारती, सड़क परिवाहन  मंत्री नितिन गडकरी, संस्कृति आर पर्यटन मंत्री डॉ. महेश शर्मा संगे  ग्रामीण विकास आर पंचायत राज मंत्री नरेंद्र सिंह तोमर करताह। गंगा तट पर बसल पांच राज्यक  104 गाम, कस्बा आर शहर म' एहि परियोजना केर शुभांरभ आय भ' रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने