सुपौल। 25 जुलाई। सहरसा-मानसी केँ बीच रेल परिचालन ठप भ' गेल अछि। जाहि केँ असर जिला भरी केँ लोगक अवागमन पर पड़ल अछि। लोग सभ केँ अप्पन गंतव्य तक पहुँचबाक लेल सड़क मार्ग केर सहारा लेना परि रहल छैन्ह।
रेल परिचालन बंद भेला सँ लोग सभक रेल मार्ग द्वारा मानसी, खगड़िया, बेगुसराय, बरौनी केँ संगे संग पटना व दिल्ली दिसा जायव मुश्किल भ' गेल छैन्ह। लोग मजबूर भ' सड़क मार्ग केर सहारा ल' रहल छैथ। मानसी दिस रेल परिचालन बंद भेल सँ स्थानीय रेलवे स्टेशन सेहो वीरान पड़ल अछि।
अपने केँ बता दी कि सुपौल जिला सहरसा-फारबिसगंज पर स्थित अछि। एहिठाम आइयो छोटी लाईन केँ ट्रेन चलैत अछि। स्थानीय निवासि सभ केँ राजधानी व दक्षिण दिसा जयबाक लेल सहरसा सँ बड़ी रेल लाईन केँ सहारा लेबा परैत छैन्ह। जाहि सेँ स्थानीय यात्री दिल्ली, पंजाब जेबाक लेल सहरसा सँ चलाई बला गरीब रथ, पूरवैया एक्सप्रेस व जन सेवा एक्सप्रेस आदि ट्रेन सभक सहारा लेबा पड़ैत छैन्ह।
ओतहि पटना दिस जेबाक लेल स्थानीय यात्री कोसी, इंटर सिटी, राज रानी ट्रेन पकड़ैत छैथ। जखन कि दरभंगा के लेल लोग जानकी एक्सप्रेस सँ यात्रा करैत छैथ।
सहरसा-फारबिसगंज केँ बीच रेल सेवा ठप भेला सँ एहि सब महत्वपूर्ण ट्रेन सभक परिचालन स्थगित भ' गेल अछि। जहि कारण सँ स्थानीय रेल यात्रि सभ केँ परेशानी केर सामना करे पैर रहल छैन्ह।
कैल्ह रविवार दिन स्थानीय रेलवे स्टेशन पर आरक्षित टिकट क' रद्द करेबाक लेल यात्री सभक भीड़ जमा छल। मुदा रविवार होयवाक कारण किनको टिकट कैंसिल नै भ' सकल।
स्टेशन अधीक्षक हेमंत कुमार कहला कि रविवार दिन रिजर्वेशन काउंटर बंद रहैत अछि। एहिलेल आय सोमवार दिन सभक टिकट रद्द करि पाई लौटाओल जायत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।