
मुंगेर 18 जुलाई:- बिहार केर मुंगेर जिलाक मुफस्सिल थाना छेत्र में आई पुलिस हथियार बनबै बला दू टा कारखाना के भांडा फोरलैन्ह, एही मामला में एखन तक दू आदमी के पुलिस गिरफ्तार केलैन्ह,मुंगेर के पुलिस अधिक्षक आशीष भारती बतेलैन्ह जे गुप्त सुचना भेटलाक बाद पुलिस बर्दाह गाऊँ में छापामारी क क दुइ टा मिनी बन्दुक बनबै बला कारखाना के भंडाफोड़ केलैन्ह आ पुलिस मोहम्मद जसीम आ मोहम्मद सब्बन के गिरफ्तार केलैन्ह इ सब अपना घर में हथियार बना क अन्य स्थान में बेचैत छलाह, आ ओतय स पुलिस दू टा पिस्तौल, दू टा ड्रिल मशीन सहित बहुते रास हथियार बनबै में प्रयोग हेबै बला उपकरण आ सामान बरामद केलैन्ह।।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।