मधुबनी। 5 जुलाई। मधुबनी सँ कांग्रेस के पूर्व विधायक महेंद्र नारायण झा जीक निधन हार्ट अटैक सँ भ' गेल छैन्ह। रविवार दिन दुपहर करीब साढ़े बारह बजे हुनकर निधन हुनकर बड़का जमाई डॉ. शैलेन्द्र मोहन ठाकुर केर आवास पर दरभंगा म' भेलनि। पूर्व विधायक महेंद्र नारायण झा 85 बरखक छलाह। हुनकर अंतिम संस्कार कैल्ह सोम दिन दस बजे हुनकर पैतृक गाँव महथा म' कायल गेल।
अंतिम संस्कार म' बिहार सरकार केर राजस्व आर भूमि सुधार मंत्री डॉ. मदन मोहन झा, पूर्व राज्य मंत्री कृपा नाथ पाठक, भाजपा प्रदेश पर्वक्ता व विधान पार्षद विनोद नारायण झा, बेनीपट्टी के विधायक भावना झा सहित कैको बड़का नेता मौजूद छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।