इंटर टॉपर घोटाला म' 23वां गिरफ्तारी, बोर्ड के पूर्व सचिव श्रीनिवास चंद्र तिवारी गिरफ्तार

पटना। 5 जुलाई। बिहार इंटर टॉपर घोटाला म' एसआईटी द्वारा सोम दिन  एक आर गिरफ्तारी कायल गेल अछि। एहि बेर बिहार बोर्ड केर पूर्व सचिव श्रीनिवास चंद्र तिवारी पर शिकंजा कसल गेल अछि।  एसआईटी द्वारा श्रीनिवास चंद्र तिवारी सँ घंटो पूछताछ के बाद गिरफ्तार कायल गेल।   टॉपर घोटाला म' ई 23वां गिरफ्तारी छी।

एसआईटी चीफ मनु महाराज द्वारा बोर्ड केर पूर्व सचिव श्रीनिवास चंद्र तिवारी केर गिरफ्तारीक पुष्टि कायल गेल अछि। मनु महाराज कहला कि बोर्ड केर  पूर्व सचिव श्रीनिवास चंद्र तिवारी केर खिलाफ बहुत रास सबूत भेटल अछि। जाहि आधार पर हुनका गिरफ्तार कायल गेल अछि।

तिवारी पर बोर्ड केर अध्यक्ष लालकेश्वर प्रसाद के मिलीभगत सँ नियम सभक धज्जि उडबैत कॉलेज सभ क' मान्यता देबाक आरोप छैन्ह। श्रीनिवास चंद्र तिवारी केर कार्यकाल सँ कॉलेज सभ के मान्यता देबाक परंपरा केर शुरुआत भेल छल।  साल 2014 म' श्रीनिवास चंद्र तिवारी पर बिहार बोर्ड केर वेबसाइट बेचबाक आरोप सेहो लागल छल। जाहि कारणे हुनका सचिव पद सँ हटाओल गेल छल।

श्रीनिवास चंद्र तिवारी के पद सँ हटलाक बाद हरिहर नाथ झा क' बोर्ड केर सचिव बनाओल गेल छल। एसआईटी सँ भेटलजानकारी केर मुताबिक, इंटर टॉपर घोटाला म' जाहि आरोप केर आधार पर हरिहर नाथ झा क' जेल भेजल गेल, ओहि आरोप केर आधार पर श्रीनिवास चंद्र तिवारी क' सेहो गिरफ्तार कायल गेल छैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ