कुशेश्वरस्थान पूर्वी प्रखंड क्षेत्रक कमला बलान म' आयल बाढ़िक स्थिति भयावह भ' रहल अछि

दरभंगा। 28 जुलाई। नवनिर्मित कमला बलानक पश्चिमी तटबंध मेँ तेजी सँ कटाव भ' रहल अछि, जाहि सँ दरभंगा मेँ बाढ़िक ख़तरा मंडरा रहल अछि। खतराक स्थिति केँ अनुमान एहि सँ लगाओल जे सकैत अछि कि बीडीओ राकेश रौशन लोग सभ केँ ऊंच जगह पर चल जेबाक सलाह देलन्हि। प्रशासन बाढ़िक प्रति पूरा तरहे लापरवाह बनल अछि। दुइ होमगार्ड केँ जवान सेँ तटबंध केर निगरानी कराओल जे रहल अछि। फिलहाल पूर्वी प्रखंड केँ बलान पूर्वी आर पश्चिमी तटबंधक गर्भ मेँ बसल  इटहर, उसड़ी, सुघराइन, उजुआ सिमरटोका आर तिलकेश्वर पंचायतक करीब साठ हजार आबादी बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। अगर नवनिर्मित तटबंध म' कटाव नै थमहल तेँ पूर्वी व पश्चिमी कुशेश्वरस्थान प्रखंडक दुइ लाख सँ बेसी लोग क' बाढ़िक सामना करे परतैन्ह।

बाढ़ि प्रभावित पंचायत केर सैकड़ों घर म' चारि सँ  पांच फीट पैन घुसल अछि।लोग अप्पन घर छोड़ी पूर्वी व पश्चिमी तटबंध पर अप्पन आशियाना बना रहल छैथ। भयानक स्थिति होबाक बादो सरकार दिस सँ कुनु तरहक   सहायता स्थानीय लोग केँ नै भेट रहल छैन्ह। जलस्तर म' लगातार भ' रहल वृद्धि केँ कारण नव निर्मित बलान पश्चिमी तटबंध म' काफी तेजी सँ कटाव भ' रहल अछि। सूत्र सभक मानी तेँ अगर एहि तरहे जलस्तर मेँ वृद्धि भेल आर एक सँ दुइ फीट पैन बढ़ल तेँ पश्चिमी तटबंध कखनो टुइट सकैत अछि।

तटबंध केर सुरक्षाक लेल प्रशासन एखन धरी कुनू डेग नै उठेना अछि। बीडीओ राकेश रौशन कैल्ह बुध दिन  थानाध्यक्ष राकेश कुमार संग बलान पूर्वी व पश्चिमी तटबंध पर विस्थापित लोग सभ सँ बात केलन्हि। दुनु पदाधिकारी पश्चिमी तटबंध केर हालात सँ रूबरू भेलाह। बीडीओ बाढ़ि केँ भयानक स्थिति देखैत बाकी बचल लोग सेँ सेहो आग्रह केलन्हि कि सब कियो कुनू भी परिस्थिति मेँ अप्पन घर खाली करि सुरक्षित स्थान पर चल जायथ। ताकि कुनुतरहे जानमाल केर नुकसान नै होय। बीडीओ राकेश रौशन कहला कि राहत सामग्री लेल जिला आपदा प्रबंधक क' आवेदन देल गेल अछि। जल्दे विस्थापित लोग सभक बीच राहत सामग्री केर वितरण कायल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ