माँछ पैकिंग के डिब्बा सं २०६ बोतल विदेशी शराब बरामद भेल.

मुजफ्फरपुर १७ जुलाय:- माँछ पैकिंग के डिब्बा सं २०६ बोतल विदेशी शराब  शैंन दिन सुबह आरपीएफ के जबान बरामद केलैन्ह, थर्मोकोल सं बनल डिब्बा जे की माँछ पैकिंग के लेल होइत अइछ ओहि दू डब्बा सं २०६ बोतल शराब बरामद भेल इ मिथिला एक्सप्रेस सं मुजफ्फरपुर के लेल हावड़ा स मंगेल गेल छल शराब के बुकिंग हावड़ा सं स्टेशन निवासी मोहमद ए अली के नाम सं भेल छल आ डिलीवरी मुजफ्फरपुर के स्टेशन रोड निवासी एसपिएस के हेबाक छल,बुकिंग के समय रेलवे के बतेल गेल की एही डब्बा में माँछ छैक ट्रैन जखन मुज़फ्फरपुर आयल आ पार्शल उतरैत छल तखन डब्बा सं शराब के गंध आयल त ओक्रा खोली क तहकीकात केल गेल त शराब निकलल आब पुलिस शराब बुकिंग करबई बला आ बुकिंग प्राप्त करइ बला के ढूंढे के प्रयाश क रहल छैथ जहि स हुनका पर आगु के कारबाई कएल जा सकई.
लेकिन एक टा बात एही स निकैल रहल अइछ की बिहार सरकार शराब बंदी पर पूर्ण कंट्रोल नै क पेलैन्ह।।


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ