व्हाट्सएप नंबर 9470001346 पर भेजु बिहार के बदहाल सड़कक फोटो, कायल जायत दुरुस्त

पटना। १ जुलाई।  बिहार केर उपमुख्यमंत्री द्वारा सोशल मीडिया क' विकास सँ जोड़ैत काज करबाक दिशा म' डेग बढ़बैत एक नबका तरीका अपनायल गेल अछि। उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव  सड़क संबंधित समस्या सभ सँ निपटारा हेतु एक प्रयोग शुरु केना छैथ। सड़क सँ सम्बंधित समस्याक लेल तेजस्वी यादव  एक व्हाट्सएप नंबर जारी केना छैथ। अगर अपनेक  सड़क खराब अछि ते एक फोटो खिचु आर ओकरा सम्पूर्ण जानकारी केर संग  व्हाट्सएप नंबर पर भेज दियो। अपनेक सड़क के ठीक कायल जायत।

सोशल मीडिया पर सदिखन सक्रिए रहे बला बिहार केर उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव  एक नंबर जारी केना छैथ। नंबर अछि +91 9470001346  एहि नंबर पर अपने बदहाल सड़क के फोटो खींच भेजु। फोटो भेजलाक बाद एहि लेल शिकायत दर्ज करी आगा कार्रवाई कायल जायत। यदि, शिकायत के बादो अगर अधिकारी सड़क केर समस्या क' दूर नै करत ते हुनको पर जवाबदेही तय करैत कार्रवाई कायल जायत।

तेजस्वी जी कहला कि पहिने लोग जखन सड़क के  शिकायत करैत छलाह ते इंजीनियर सभ के बताओल जायत छल। इंजीनियर केर बात क' रिपोर्ट मैन लेल जायत छल। कैको बेर कई सड़क नहियो ठीक भेलाक बावजूद  इंजीनियर ओकरा ठीक बता दैत छल। आब विभाग केर पास सड़कक फोटो उपलब्ध होयत ते सड़क के ठीक करबा में मदद भेटत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ