देश म' बुलेट ट्रेनक भ' रहल अछि मांग, सहरसा-मानसी रेलखंड पर आइयो ट्रेन दौड़ैत नै गुरकैत अछि

सहरसा। 1 जुलाई। जते देश म' बुलेट ट्रेनक संगे संग हाई स्पीड ट्रेन चलेबाक लेल काज कायल जे रहल अछि, ओतहि पूर्व मध्य रेलवे के समस्तीपुर रेल डिविजन के सहरसा-मानसी रेलखंड पर आइयो ट्रेने दौड़त नै गुरकैत अछि। समस्तीपुर डीआरएम शुधांसू शर्मा द्वारा एहि रेलखंड पर बाढ़ि व कटाव क' ध्यान में राखैत ट्रेन केर स्पीड मात्र 20 किलोमीटर प्रति घंटा के रफ्तार सँ चलेबाक आदेश देल गेल अछि। अपने के बता दी एहि रेलखंड के कोपरिया रेलवे स्टेशन सँ बदला घाट स्टेशन केर बीचक रेलखंड कोशी नदी केर पूर्वी आर पश्चिमी तटबंध के बीच सँ गुजरैत अछि।

पूर्व मध्य रेल के समस्तीपुर मंडल रेल अंतर्गत सहरसा-मानसी रेलखंड के फनगो हॉल्ट के एरिया म' 14.3 सँ 14.6 किलो मीटर केर बीच कोशी नदीक धारा भीषण दवाब बनैना अछि। कखनो भी पैनक दवाव रेलखंड पर ट्रेन के परिचालन क' बाधित क' सकैत अछि। हरेक बरखक तरहे ऐहियो बरख रेल मार्ग क' सुरक्षित रखबाक नाम पर रेल के अभियंता सभ लूटबाक दरवाजा ठीकेदार सभक लेल खोइल देना अछि।  रेलखंड के बीच फनगो हॉल्ट के 14.3 सँ  14.6 किलो मीटर तक कोशी नदीक धारा में वृद्धि भेला पर रेल पथ के करीब पहुँच जायत अछि। मुदा विभाग बाढ़ि सँ पहिने कुनु तरहक तैयारी नै करैत अछि।

बाढ़ि आर बरसात के समय सरकारी राशि केर लूट करबाक लेल सुरक्षा व बचाव काज पिछला  6-7 बरख सँ चैल रहल अछि। जखन - जखन पैन रेलखंड पर दवाव बनबैत अछि कटाव विरोधी काजक लेल बोल्डर जमा करी कटाव रोकबाक काज कायल जायत अछि। अभियंता सभ के कुनु हिसाब  नै रहैत छैन्ह कि कतेक बोल्डर डालल गेल, किएक जे तेज बहाव केर कारण सभ बोल्डर पैन में बैह जायत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने