समस्तीपुर। 1 जुलाई। समस्तीपुर जिलाक बालेश्वर राम नन्द किशोर सिंह इंटर कॉलेज म' सरकार द्वारा देल गेल अनुदान राशि म' गड़बड़ी केर मामला सामना आयल अछि।
कॉलेज के जंतु विज्ञान विभाग म' कार्यरत शिक्षक रामवृत राय केर आरोप छैन्ह कि, कॉलेज के अध्यक्ष आर प्राचार्य द्वारा हुनका जगह अप्पन परिचित दोसर शिक्षक रमेश कुमार केर नियुक्ति देखा क' सरकार सँ भेटै बला राशि म' हेराफेरी कायल गेल अछि। संगहि सरकारी नियम क' ताक पर राइख अलग-अलग दुई पद पर काज क' रहल व्यक्ति क' सेहो फायदा देल गेल अछि।
रामवृत राय के मुताबिक, एहि बात क' ल'के हुनका द्वारा जिला सँ प्रदेश तक के आलाधिकारि सभ तक शिकायत दर्ज करायल गेल, मुदा एखन धरी सिर्फ जांच करबाक आश्वासन भेटल अछि। एहि मामले के उजागर भेलाक बाद आब पीड़ित शिक्षक क' धमकी देल जे रहल अछि। पीड़ित शिक्षक एहि पूरा मामला केर निष्पक्ष जांच के मांग क' रहल छैथ, ताकि दोषि सभ के सजा भेटा। एहि मामला पर कॉलेज के प्राचार्य केर साफ कहब छैन्ह कि, रामवृत राय हुनकर कॉलेज केर शिक्षक छेबे नै करैथ।
ऐना म' प्राचार्य केर दलील आर पीड़ित शिक्षक के नियुक्ति एहि मामला म' संदेह जरूर उत्पन्न क' रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।