पटना। 22 जुलाई। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नवनिर्वाचित पंचायत प्रतिनिधि सभ केँ वेबकास्टिंग केर माध्यम सँ संबोधित केलाह। जाहि दरमियान नीतीश कुमार बहुत रास योजना केर सेहो घोषणा केलाह।
प्रस्तुत अछि वेबकास्टिंग केर मुख्य बिंदु;
नीतीश कुमार कहला पंचायत प्रतिनिधि सभ केँ बैसबाक आर काज करबाक लेल पंचायत सरकार भवन बनाओल जायत। लगभग राज्य भरी मेँ 14000 पंचायत सरकार भवन केर निर्माण होयत। आपदा केर समय म' आश्रय होयत पंचायत भवन। पंचायत प्रतिनिधि केर मृत्यु पर 5 लाखक मुआबजा देल जायत।
नीतीश कुमार एहि मैका पर ऊपर केर घोसना करैत सरकार द्वारा पूरा कायल गेल काज सेहो सभक बिच राखला। सरकारी नौकरि मेँ महिला सभ केँ 35% आरक्षण देल गेल। दो अक्टूबर सेँ स्टूडेंट्स क्रेडिट कार्ड भेटब शुरू होयत। अब 12वीं के आगू पढ़बाक लेल बिद्यार्थी सभ केँ 4 लाख टक्का के क्रेडिट कार्ड मुहैया कराओल जायत। हर पंचायत मेँ कौशल विकास केंद्र खुजत। रोजगारक खोज करनिहार युवा सभ केँ स्वंम सहायता भत्ता भेटत।
हर पंचायत मेँ बोरिंग आर पाइप केर कनेक्शन होयत। हर घर बिजली आर हर घर नल देल जायत। पंचायती सरकार सेहो टैक्स लगा सकता। शराबबंदी पर मीडिया मेँ चैल रहल अपवाह क' नीतीश कुमार विरोधि सभक साजिश कहला। गाम मेँ शराब पकरेला पर मुखिया केँ होयत गिरफ़्तारी, एहि खबर क' गलत कहला।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।