OBC आरक्षण खत्म केला पर लालू यादव पीएम क' पाती लिख आंदोलन करबाक धमकी देलखिन

पटना। 25 जून। राष्ट्रीय जनता दल के प्रमुख लालू प्रसाद यादव पीएम नरेंद्र मोदी क' पाती लिखलाह। पाती म' प्रोफेसर आर एसोसिएट प्रोफेसर के पदक लेल पिछरल वर्ग सभक यूजीसी के तरफ सँ आरक्षण खत्म करबाक मुद्दा उठेलाह। 

अप्पन पाती म' लालू आरोप लगेना छथ कि मोदी सरकार नियम आर प्रावधान क' ताक पर राखैत ओबीसी उम्मीदवार सँ हुनक हक़ छीन रहल अछि। ओ पीएम मोदी सँ निजी तौर पर एहि मामला क' देखबाक लेल आर ओबीसी उम्मीदवार सभ के आरक्षण खत्म करबाक फैसला पर मानव संसाधन मंत्रालय सँ रिपोर्ट लेबाक मांग केना अछि।



एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ