बिहार बोर्ड केर आर्ट्स टॉपर रूबी राय के फेर सँ भेल जाँच परीक्षा

पटना। 26 जून। फर्जी तिकड़म द्वारा बिहार बोर्ड के आर्ट्स म' टॉप कराइ वाली रूबी राय क' जखन शनि दिन दुबारा जांच परीक्षा लेल बजाओल गेल ते निबंध लिखबाक एक आर नबका अंदाज देखबाक लेल भेटल। कड़ा देखरेख के बीच परीक्षा देबाक लेल बैसल रूबी द्वारा तुलसीदास जी पर निबंध लिखल गेल, जहि के सुरुवात रूबी राय 'तुलसीदास जी प्रणाम' सँ केली। बाद में रूबी बेसी किछ नै लिख पाउली आर कलम राइख देली।

परीक्षा केर दौरान उपस्थित अधिकारि सभक कहब छैन्ह कि टॉपर बनल रूबी राय क' आर्ट्स के विषय के सेहो  सामान्य जानकारी नै छैन्ह। टॉपर घोषित भेलाक बाद करीब एक मास  तक बवाल चलल लेकिन एखनो रूबी राय केर  हालत एहेन छैन्ह कि जाहि प्रश्न केर उत्तर ओ  बोर्ड परीक्षा में ठीक-ठीक लिखने रहथिन, अब ओहि पर हुनकर कलम नै चलैत छैन्ह। रूबी के कहब छैन्ह कि परीक्षा केर दौरान पढ़ाई क' के उत्तर लिखे रहथिन, लेकिन अब बिसैर गेलीह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ