पटना हाईकोर्ट बनल वाई-फाई सुविधा बला देशक पहिल हाईकोर्ट

पटना। 25 जून। पटना हाईकोर्ट देशक पहिल वाई-फाई सुविधा उपलब्ध करबई बला हाईकोर्ट बनी गेल अछि। सुप्रीम कोर्ट के बाद पटना हाईकोर्ट म' सेहो बीएसएनएल द्वारा वाई-फाई सेवा शुरू भेल जाहि के शुभारंभ केन्द्रीय संचार एवं सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री रविशंकर प्रसाद केलाह।

रविशंकर प्रसाद कहला कि  हाईकोर्ट शताब्दी समारोह के समापनक मौका पर फ्री वाई-फाई देबाक घोषणा भेल छल, मुदा फ्री सेवा देबाक लेल बहुत रास अड़चन आबैत छल मुदा सरकार केर प्रयास सँ ई सेवा शुरू भ' गेल अछि। पटना हाईकोर्ट के कार्यकारी मुख्य न्यायाधीश न्यायमूर्ति इकबाल अहमद अंसारी वाई-फाई सेवा देबाक लेल बीएसएनएल क' बधाई देलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ