रग्बी केर मैचक दौरान खेलारी विश्वनाथ शरण उर्फ मोनू क' लागल चोट, अस्पताल ल' जेबाक दैरान तोड़ला दम

जहानाबाद। 20 जून। जहानाबाद म' रग्बी के मैचक दौरान एक खेलाड़ी केर मृत्यु भ' गेल अछि। ई घटना जहानाबाद के घोषी प्रखंडक छी जाही ठाम मैचक अायोजन भेल छल।  मैच खेलते समय 17 सालक विश्वनाथ शरण उर्फ मोनू अप्पन साथी खेलारी सं टकरा गेलाह जाही सं हुनका माथ म' गंभीर चोट लागलैन अार ओ मैदाने पर  अचेत भ' गेलाह। जिनकर मृत्यु अस्पताल ल' जेबाक दैरान रास्ते म' भ गेलनी। खेलक मैदान पर भेल मृत्यु सं  हुनकर साथी खेलाड़ी सं ल' के दर्शक तक सन्न रही गेलाह।  विश्वनाथ रग्बी केर उभरैत खेलाड़ी छलाह जे घोसी प्रखंड के नंदना गामक रहिवासी छलाह। जानकारी केर मुताबिक कैल्ह  रवि दिन 11 बजे मैच शुरू भेल छल, मैच जहानाबाद अार आरा के बीच छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने