दरभंगा स्टेशन पर वीआईपी सुविधाक संग बनत नव प्लेटफार्म

दरभंगा। 23 जून। दरभंगा -समस्तीपुर डबल लाइन निर्माण के संगे संग दरभंगा जंक्शन के पूरब दिशा म' आधुनिक सुविधा सभ सँ लैस नव प्लेटफॉर्म नंबर 6 केर निर्माणक संगे संग वेंटिग रूम, पूरब दिशा सँ प्रवेश द्वार आर सड़क केर  होयत निर्माण।

रेलवे द्वारा उत्तर बिहार केर सबसे पैघ रेलवे स्टेशन में सँ एक दरभंगा जंक्शन पर अप्पन महत्वाकांक्षी योजना क' जमीन पर उतारबाक तैयारी शुरू क' देल गेल अछि। तय योजना अनुसार जंक्शन के पूरब दिशा में रेलवे दोहरीकरण के साथ नव प्लेटफॉर्म नंबर 6 केर निर्माण जलदे शुरू होयत। नव प्लेटफार्म पर पूर्ण वातानुकूलित वेंटिग रूम, कोच गाइडेंस सिस्टम, डिलक्स शौचालय केर व्यवस्था होयत। पूरा प्लेटफार्म वीआईपी प्लेटफार्म के रूप में विकसित कायल जायत, संगहि पूरब दिशा म' पुरनका क्वार्टर क' हटा क' नव सड़क केर निर्माण सेहो कायल जायत। ई सड़क कटहलवाड़ी गुमती सँ होयत म्यूजियम गुमती क' प्लेटफार्म नंबर 6 से सीधे जोडत। अनुमान कायल जायत अछि जे प्लेटफार्म नंबर 6 के निर्माण भेला सँ गाड़ी सभ के लेट लत्फी म' नियंत्रण होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ