इन्तजार भेल ख़त्म कैलह सँ सुरु भ' गेल सहरसा - दानापुर रात्रिकालीन ट्रेन (13205 - जनहित एक्सप्रेस)

सहरसा। 23 जून। कैको बरख सँ सहरसा वासी द्वारा सहरसा - पटना लेल रात्रिकालीन ट्रेन केर इन्तजार अंततः कैलह ख़त्म भ' गेल अच्छी। सहरसा वासी क' सहरसा - दानापुर रात्रिकालीन ट्रेन (13205  जनहित एक्सप्रेस) के भेटल सौगात। खगड़िया केर लोजपा सांसद महबूब अली कैंसर आर रेल राज्यमंत्री मनोज सिन्हा केर मौजूदगी म' रेल मंत्री सुरेश प्रभु द्वारा दिल्ली स्थित रेल भवन सँ वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग के द्वारा एहि ट्रेन क' हरियर झंडा देखाओल गेल। एम्हर सहरसा स्टेशन पर मधेपुरा केर सांसद पप्पू यादव आर सहरसा  केर राजद विधायक अरुण कुमार यादव द्वारा  ट्रेन क' हरियर झंडा देखा विदा कायल गेल।

सहरसा सँ इ ट्रेन सप्ताह के सातो दिन रति के 11 बजी के  35 मिनट पर खुजत जे बेगुसराय, बरोनी, हाजीपुर होयत   6 बजी के 15 मिनट पर दानापुर पहुंचत।

दानापुर सँ इ ट्रेन सप्ताह के सातो दिन भोर के 9 बजी के 25 मिनट पर खुजत आर पाटलिपुत्र 9 बजी के 40 पर होयत  सहरसा दुपहर केर 3 बजी के 30 मिनट पर पहुँचत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ