बाढ़ि के बढ़ैत खतरा सं निपटबाक लेल तेजप्रताप यादव के एहि काजक अपने जरूर प्रसंसा करब

सहरसा। 28 जून। बाढ़ि केर ख़तरा सं निपटबाक लेल बिहार सरकार कमर कैस लेना अछि। स्वास्थ्य विभाग सेहो बाढ़ि सं प्रभावित क्षेत्र म' चिकित्सा ब्यवस्था उपलब्ध करेबाक लेल  हर संभव उपाय केना अछि। एहि बेर स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव द्वारा बाढ़ि सं प्रभावित इलाका म' स्वास्थ्य आर चिकित्सा के लेल हेलैत अस्पताल (चलंत अस्पताल) केर ब्यवस्था कायल गेल अछि।

हेलैत अस्पताल बाढ़ि सं प्रभावित क्षेत्र सभक पहचान करी ओहिठामक मरीज क' दबाई के संगे संग चिकित्सा व्यवस्था मुहैया करायत आर गंभीर मरीज क' अनुमंडलीय या जिला अस्पताल पहुंचायत। एहि चंलत अस्पताल म' चिकित्सक के आलावा आन कर्मी के साथ दबाई सेहो भरपूर मात्रा म' उपलब्ध होयत। जता कतो कुनु तरहल  समस्या आयत इ टीम नाह सं पहुँच तुरंत इलाज करत। एहि के लेल सिमरी बख्तियारपरु म' तीन टीम बलओल गेल अछि। सिमरी बख्तियारपुर, सलखुआ आर बनमा ईटहरी प्रखंड में हर बरख बाढ़ि आबैत अछि। खास करी  सिमरी बख्तियारपुर आर  सलखुआ के तटबंधक भीतर लगभग एक दर्जन पंचायत के लाखो लोक बाढ़ि सं प्रभावित होता अछि।

ई टीम कोसी तटबंध के भीतर बाढ़ि सं प्रभावित क्षेत्र म' स्वास्थय सेवा उपलब्ध करायत। हर टीम म' एक चिकित्सक, एक एएनएम, आर एक पैरा मेडिकल कर्मी तैनात रहत। सिमरी बख्तियारपुर म' दुई टीम तटबंध के भीतर आर एक टीम क' तटबंध के बाहर राखल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ