गोपालगंज। 28 जून। गोपालगंज म' गंडक नदी के जलस्तर म' वृद्धि भेला सं निरन्तर बाढ़ि के डर बढ़ल जे रहल अछि। बढ़ैत जलस्तर सं जते तटबंध पर दबाव बढ़ी रहल अछि ओतहि बढ़ैत दबाव केर वजह सं सदर प्रखंड के मसानथाना गाम में कटाव तेज भ' गेल अछि। कटाव केर कारण सं एहि गाम के अस्तित्व पर खतरा मंडराबे लागल अछि। मसानथाना गाम गंडक के किनारा में बसल अछि आर एहि गामक आबादी करीब 1500 अछि। एहि गाम में करीब 300 परिवार रहैत छैथ।
ओना ते हर साल एहि गाम लग गंडक नदी के बाँध में कटाव होइत रहैत छैक लेकिन ग्रामीण सभक मुताबिक अय बेर हालत भयावह अछि। कटाव के कारण सं सभ ग्रामीण म' भय केर माहौल उत्पन्न भ' गेल छैन्ह।
बाढ़ि नियंत्रण विभाग गंडक के कटाव क' रोकबाक लेल मसानथाना गाम में कैको दिन सं कटाव निरोधी काज क' रहल अछि। बाढ़ नियंत्रण विभाग केर सहायक अभियंता सचिन कुमार के मुताबिक बारिश भेलाक कारण सं सदर प्रखंड के मसानथाना सहित आसपास के आन गाम में सेहो गंडक केर दबाव बेसी रहत। ओना गंडक में एखन एक लाख क्यूसेक पानी केर बहाव अछि जे ख़तरा सं बहुत कम कहल जे सकैत अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।