सहरसा। 28 जून। सहरसा म' बेखौफ अपराधि सभ एहि बेर पुलिस केर एक आलाधिकारी क' चुनौती देना छैथ। उद्योगपति, डॉक्टर व इंजीनियर के बाद अपराधि सभ द्वारा बिहार पुलिस केर एक आलाधिकारी सँ 20 लाख टक्का रंगदारी के रूप म' मांगल गेल अछि।
सहरसा के डीआईजी चंद्रिका राय सँ फोन पर 20 लाख टक्का रंगदारी रंगदारी केर रूप म' मांगल गेल छैन्ह। ओतहि, टक्का नै देला पर जान सँ मारबाक धमकी सेहो देल गेल छैन्ह। एहि ल' के डीआईजी चंद्रिका राय थाना म' शिकायत दर्ज करवा देना छैथ। डीआईजी सँ रंगदारी 24 जून क' हुनकर मोबाइल नंबर 9931024019 पर फोन करी क' मांगल गेल छैन्ह। रंगदारी मांगबाक लेल 8826757488 नंबर केर उपयोग कायल गेल छल।
डीआईजी कहला कि 24 जून क' करीब डेढ़ बजे हुनकर व्यक्तिगत नंबर पर फोन आयल आर सामना सँ गाइर् देब सुरु क' देलक। ओकर बाद हुनका कहल गेल कि ' हम यूपी सँ आजम खान बाजैत छी, अहाँ जल्दे रिटायर होय बला छी। बहुत पाई अछि अहाँक लग आर अहाँ पहिनो से बहुत पाई जोगेना छी। एहिलेल एखन 20 लाख मँगैत छी, रिटायर भेलाक बाद जे भेटत ओहि सँ आधा भेजबा देब नै तें बम सँ उड़ा देब।
8826757488 नंबर क' जखन ट्रेस कायल गेल तें पुलिस क' गाजियाबाद केर लोकेशन प्राप्त भेल। नंबर कुनु शेष नारायण के नाम सँ अछि। ओहि नंबर पर जखन दुबारा कॉल कायल गेल तेँ ओंकार यादव द्वारा फोन उठाओल गेल छल, ओंकार यादव सँ पता चलल जे शेष नारायण मॉडर्न कंस्ट्रक्शन कंपनी म' प्रोजेक्ट मैनेजर छैथ।
अय सँ पहिनो चंद्रिका राय क' धमकी मिल चुकल छैन्ह। ओ कहला कि पटना केर बेऊर इलाका म' हुनकर मकान अछि, जाहि ठाम किछ लोक सँ हुनकर जमीनी विवाद चलैत छैन्ह। पुलिस पूरा मामला के जानकारी एकट्ठा करबाक लेल भीरल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।