मधुबनी। 25 जून। मधुबनी जिला के फुलपरास प्रखंडक धर्मडीहा पंचायत केर मुखिया प्रत्याशी वीर बहादुर राय द्वारा बीडीओ पर मतगणना म' धांधली करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। धर्मडीहा पंचायत के मतगणना म' भेल धांधली केर खिलाफ कैलह शुक्र दिन राजद कार्यकर्त्ता द्वारा समाहरणालय केर समक्ष धरना के आयोजन कायल गेल छल।
धरना म' जिला भरी के राजद कार्यकर्ता शामिल भेलाह। प्रखंड अध्यक्ष राम बहादुर यादव द्वारा बीडीओ पर रिश्वत लेबाक आर चुनाव म' प्रत्याशि सभ के मदद करबाक आरोप लगाओल गेल। मुखिया प्रत्याशी वीर बहादुर राय केर कहब छैन्ह कि मतगणना म' गड़बड़ी के शिकायत ओ केलाह मुदा बीडीओ आर जिला प्रशासन हुनकर शिकायत पर कुनु संज्ञान नै लेलन्हि। जाहि कारणे आन्दोलन करबाक लेल मजबूर हुवे परल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।