शराबबंदी स' भेल बेरोजगार लेल नितीश सरकार करत व्यवस्था





पटना  29 जून  हाल ही में भेल एक कार्यक्रम में मुख्य्मंत्री नितीश कुमार कहला जे पूर्ण शराबबंदी स भेल बेरोजगार के लेल बिहार सरकार वैकल्पिक व्यवस्था करत ।  

पूर्णिया के इंदिरा गांधी स्टेडियम में आयोजित भेल एक कार्यक्रम में मुख्यमंत्री कहला  जीविका के माध्यम स' राज्य में करीब पांच लाख महिलाक समूह बनायल गेल  अछि। वर्ष 2017 तक सरकार 10 लाख स्वयं सहायता समूह बनाबेक  लक्ष्य रखने अछि , जाहि में करीब डेढ़ करोड़ परिवार जुड़त। एही परिवार सब के आत्मनिर्भर बनाबा के लेल सरकार हर संभव सहयोग करत

पूर्ण शराबबंदी के बाद नशामुक्त समाज के निर्माण में लेल एही मुहिम में सब तबका के लोग जुडी रहल छैथ । आब देखबाक अछि जे नशा मुक्त समाज  निर्माणक संदेश देबा वाला झांकी, वाद-विवाद प्रतियोगिता या पेंटिंग प्रदर्शनी क' कतेक असर समाज पर पड़त ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने