कहाँ अछि सभक साथ सभक विकास - तेजस्वी यादव

पटना। 29 जून। बिहार के उप मुख़्यमंत्री तेजस्वी यादव द्वारा सर्वशिक्षा अभियान म' प्रदेश सरकार केर मांग म' भारी कटौती करबाक मोदी सरकार केर निर्णय के आलोचना करैत एकरा बिहार के संग अन्याय कहल गेल अछि। तेजस्वी यादव ट्विटर पर लिखलाह कि इए छी  केंद्रक सभक साथ सभक विकास, बिहार के साथ अन्याय। देश के उज्जवल भविष्य के साथ खिलवाड़ क' रहल अछि मोदी सरकार।

अपने के बता दी रवि दिन  केंद्र के नरेंद्र मोदी सरकार द्वारा वित्तीय वर्ष 2016-17 के लेल सर्वशिक्षा अभियान म' बिहारक मांग में भारी कटौती करैत 9665 करोड़ 27 लाख टक्का क' स्वीकृत कायल गेल अछि। केंद्र के एहि निर्णय सं  बिहार म' एकर बहुत असर पैर सकैत अछि। बिहार सरकार द्वारा सर्वशिक्षा अभियान के तहत 18 हजार 277 करोड़ टक्का के मांग कायल गेल लेकिन केन्द्र  9665 करोड़ टक्का स्वीकृत केना अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ