सासाराम : 29 जून : बिहारक सासाराम में कैल्ह भेल एक रेल हादसा में पुरी सs नई दिल्ली जा रहल पुरुषोत्तम एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त भ गेल . एही हादसा में कोनो भी यात्री के गंभीर रूप से जख्मी होबाक खबर नै अछि.
हादसा डेहरी-सासाराम रेलखंड पर भेल . हादस क' शिकार भेल 2801 अप पुरुषोत्तम एक्सप्रेस उड़ पुरी सs नई दिल्ली जा रहल छल . एही क्रम में पुरषोत्तम एक्सप्रेस क दो बोगि सासाराम स्टेशनक नजदीक पटरी सs उतैर गेल .
ट्रेनक बोगि के उतरते यात्रि सब में अफरातफरी क' माहौल कायम भए गेल आ लोग एम्हर - ओम्हर कूदी क' भागे लाग्ला . भागे के क्रम में दो टा यात्रि के आंशिक रूप सs घायल होबाक खबर अछि !
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।