एहन नै जे बिहार सरकार ही शराबबंदी आ नशा मुक्त समाजक निर्माण में आम आदमी के जागरूक क रहल अछि। बिहार में व्यक्तिगत स्तर पर सेहो लोग सब नशामुक्त समाज के लेल काज क' रहल छैथ । एही कड़ी में एक नाम पूर्णिया जिलाक पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी सेहो छैथ । विगत कीच दिन स' ओ पुलिस कप्तानी के साथ - साथ एही मुहीम क'सेहो हिस्सा बनल छैथ ।
आम आदमीक साथ झांकी निकैल रहल छैथ एसपी
पश्चिम बंगाल आ पूर्वोतर राज्य सब स सटल पूर्णियाक' सीमा नेपाल सs सेहो लागल अछि । एहन में पुलिस प्रशासन के एहीठाम हमेशा मुस्तैद रहए पड़ैत अछि ।
जखन देश-विदेश में 'अंतर्राष्ट्रीय मादक द्रव्य निषेध (नशा मुक्ति) दिवस' मनायल जा रहल छल , ओहि समय पुलिस अधीक्षक निशांत आम आदमीक साथ मिलक नशामुक्त समाज के लेल शहर में झांकी निकलला ।
स्कूलों में प्रतियोगिता सेहो आयोजित करैत छैथ निशांत
निशांत झांकी के अलावा शहर के कॉलेज सब में वाद-विवाद प्रतियोगिता, स्कूलों में पेंटिंग प्रदर्शनी, मेडिकल कैम्प आदि सेहो आयोजित करवा रहल छैथ । एही सs पूर्व कतेको मौका पर निशांत लोक सब के नशा मुक्त समाज के निर्माण के लक जागरूक करैत रहैत छैथ ।
तिवारी कहला , "नशामुक्त समाजक निर्माण लेल हमरा सब गोटे के आगा आबे पडत । नशा परिवार के तोड़ैत अछि , नशा समाज के दूषित करैत अछि । एहन में हमरा सबहक दायित्व अछि जे समाज के नशामुक्त करे में अपन - अपन स्तर पर काज करी । सरकार एही मुहिम में हमर सबहक सहायता क रहल अछि ।"

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।