आईजी जेल आनंद किशोर जी कहला की कैदि सभ के इ सुविधा देबाक लेल गृह (कारा) विभाग बीएसएनएल क' 9.11 करोड़ टक्काक भुगतान करे जे रहल अछि। जहि सँ बिहार केर 57 जेल म' 105 टेलीफोन बूथ लगाओल जायत। एहि सभ टेलीफोन बूथों पर इनकमिंग कॉल केर सुविधा नै रहत। जेल के टेलीफोन बूथ सँ बात करबाक लेल कैदि सभ के अप्पन परिजन आर वकील केर नंबर जेल प्रशासन क' उपलब्ध करबे परतैन।
कैदी के अप्पन परिजन या वकील सँ बात करबाक लेल पहिने जेल प्रशासन सँ इजाजत लेबा परत। जेल के अंदर बंद कैदी महीना में कैको बेर अप्पन परिजन या वकील सँ बात क' सकैत छैथ। पीसीओ सँ बात करबाक लेल कैदी क' भुगतान सेहो करे परतैन्ह।
आनंद किशोर जी कहला कि जेल के फोन सँ कैदी केर बातचीत पूरा तरहे रिकॉर्ड कायल जायत। संगहि बात चित के दौरान जेल के एक अधिकारी ओहिठाम मौजूद रहता।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।