बेगूसराय। 28 जून। कैल्ह राति अज्ञात अपराधि सभ द्वारा नगर थाना क्षेत्र के मोहम्मदपुर निवासी एकही परिवार केर तीन लोकक गर्दैन काटी हत्या करबाक सनसनीखेज मामला सामना आयल अछि। मृतक म' पति-पत्नी आर ढाई बरखक नेना शामिल अछि।
मृतक केर पहचान रामाश्रय पोद्दार के 35 वर्षीय बेटा अमित कुमार, हुनकर 30 वर्षीय पत्नी प्रियंका कुमारी आर मृतक अमित कुमार केर ढाई बरखक बेटा आर्यन के रूप म' भेल अछि। फिलहाल घटना के कुनु कारणक पता नै चलल अछि। ओहिठामक रहिवासी सभक कहब छैन्ह जे, मृतक रामाश्रय जमीन के खरीद-बिक्री के काज करैत छलाह। पुलिस मौका पर पहुंच मामला केर जांच में भीरल अछि। गामक स्थिति तनावपूर्ण बनल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।