महात्मा गांधी सेतु पुल केर पुननिर्माण लेल 1742 करोड़ टक्काक पैकेज क' भेटल मंजूरी

पटना। 23 जून। केंद्र सरकार द्वारा बिहार क' बड़का तोहफा देल गेल अछि। केंद्रीय कैबिनेट द्वारा बुध दिन पटना आर  हाजीपुर क' जोड़े बला महात्मा गांधी सेतु पुल के पुननिर्माण लेल 1742 करोड़ टक्का मंजूर कायल गेल अछि।

केंद्रीय सड़क परिवहन मंत्री नीतिन गडकरी कहला कि साढ़े तीन साल म' सेतु के पुननिर्माणक लक्ष्य राखल गेल अछि आर एहिपर कुल 1742 करोड़ टक्का खर्च होयत। हुनका मुताबिक़ अगला महीना एहि लेल टेंडर निकालल जायत, जकरा अगस्त म' स्वीकृति दैत काज शुरू कायल जायत। गांधी सेतुक सुपर स्ट्रक्चर केर दुबारा निर्माण होयत। यानि पूरा पुल नया बनत सिर्फ पाया पुनके रहत। एकर अलावा गांधी सेतु के समानांतर पुलक निर्माण सेहो 6 हजार करोड़ के लागत सँ जलदे शुरू होयत।

महात्मा गांधी सेतु पर बेसी काल जामक  स्थिति रहैत अछि, एहिलेल सरकार द्वारा एहि के फोर लेन बनेबाक आर  पुननिर्माण करबाक मंजूरी देल गेल अछि। 5.8 किलोमीटर लम्बा एहि पुलक  कैको पाया खराब स्थिति में अछि। बता जी की महात्मा गांधी सेतु बिहारक लाइफ लाइन अछि आर ई उत्तर बिहार क' दक्षिण बिहार सँ जोड़ैत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने