टॉपर्स घोटाला: पूर्व BSEB अध्यक्ष लालकेश्वर सिंह पत्नी उषा सिन्हा संग गिरफ्तार

पटना। 20 जून।  बिहार टॉपर्स घोटाला म' बिहार स्कूल एक्जामिनेशन बोर्ड केर पूर्व चेयरमैन लालकेश्वर सिंह अार हुनक पत्नी अार जेडीयू केर पूर्व विधायक उषा सिन्हा क' पुलिस  गिरफ्तार क' लेना अछि।

एही सं पहिने, 15 जून क' एही टॉपर्स घोटाला म' अदालत द्वारा लालकेश्वर सिंह अार हुनकर पत्नी उषा सिंहा के खिलाफ गिरफ्तारी वारंट जारी केना छल।

फोन रिकॉर्ड सं पूर्व बोर्ड अध्यक्ष लालकेश्वर सिंह अार बच्चा राय के बीचक बातचीत के सेहो पुष्टि भेल अछि। बच्चा राय बिहार टॉपर्स घोटाले केर मुख्य आरोपी छैथ। मानल जे रहल अछि कि पुलिस बच्चा राय क' फेर सं रिमांड पर ल' सकैत अछि।

एही घोटाला केर जांच क' रहल एसआईटी द्वारा बच्चा राय के करीबी नंदकिशोर राय क' सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि। नंदकिशोर राय मुजफ्फरपुर स्थित बिहार विश्विविद्यालय म' बच्चा राय केर काज देखैत छलखिन।

एही बीच पुलिस द्वारा बच्चा राय के कॉलेज केर दफ्तर सं एक पिस्तौल अार पांच जिंदा कारतूस बरामद कायल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने