पटना। 18 जून। बिहार म' कैलह शुक्रवार दिन सँ मानसून केर आगमन भ' गेल अछि। पांच दिन देरी सँ मानसून सीमांचल के अररिया आर किशनगंज पहुँच गेल अछि। दुनु जिला में मानसून पूरा तरहे आच्छादित भ' गेल अछि।कटिहार, पूर्णिया आर सुपौल जिला म' सेहो मानसून दस्तक द' चुकल अछि। आबै बला मंगल दिन तक मानसून केर पूरा बिहार में अएबाक अनुमान अछि। मानसून मध्यम अछि। पांच से छह दिन तक राज्य म' मध्यम बारिश होयबाक अनुमान अछि। गुरुवार दिन हवा केर रफ्तार कम भेलाक कारण मौसम विभागक अनुमान छल कि मानसून रविवार दिन तक बिहार पहुंचत। मौसम विज्ञान केंद्र के निदेशक एके सेन के मुताबिक मंगल दिन तक समूचा बिहार म' मानसून केर आगमन भ' जायत।
मंगल दिन तक समूचा बिहार म' मानसून केर आगमन भ' जायत
जितमोहन झा (जितू)
0
Tags
पटना
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।