दरभंगा। 18 जून। दरभंगा के बिटिया भावना कंठ आय सँ भारतीय वायु सेना केर लड़ाकू विमान उरउति। भावना कंठ के एहि उपलब्धि सँ दरभंगा सहित सगर मिथिला म' खुशीक माहौल व्याप्त अछि संगहि हुनक पैतृक गाम बाउर म' जश्न के माहौल अछि।
भावना के संग पहिल बेर भावना के अलावा मोहना सिंह आर अवनी चतुर्वेदी नामक दुई आन महिला सभक सेहो चयन भारतीय वायु सेवा केर फाइटर प्लेन उरेबाक लेल भेल छैन्ह। भावना भारतीय वायु सेना म' शॉर्ट सर्विस कमिशन के तहत पायलट के रूप म' नियुक्त भेल छथि।
भावना दरभंगा केर घनश्यामपुर प्रखंडक बाऊर गांव केर मूल निवासी छथि। हुनकर परिवार फिलहाल दरभंगा के भैरवपट्टी बैंकर्स कॉलोनी म' रहैत अछि। हुनकर बाबूजी तेज नारायण कंठ इंडियन ऑयल कॉर्पोरेशन म' बतौर अभियंता यूपी के मथुरा में कार्यरत छैथ। भावना केर दादा जी बौद्ध नारायण कंठ इंडियन ऑयल कॉर्पोरेशन केर बरौनी रिफाइनरी म' एक सामान्य इलेक्ट्रिशियन छलाह।
भावना वर्ष 2009 म' डीएवी स्कूल, बरौनी रिफाइनरी, बेगूसराय सँ दसवीं केर परीक्षा पास केलीह वर्ष 2014 म' बेंगलुरू के बीएमएस कॉलेज सँ बीटेक केलीह। वर्ष 2015 म' हुनक चयन भारतीय वायु सेना के लेल भेलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।