हाजीपुर म' भेटल पोलियो केर संदिग्ध मरीज, जांच मे जुटल स्वास्थ विभाग

हाजीपुर।18 जून। हाजीपुर म' एक नेना क' पोलियो केर शुरुआती लक्षण पाओल गेल अछि।  हाजीपुर शहर के शाही कॉलनी निवासी हमीदा खातून के 6 बरखक  बेटी  आइसा प्रवीण क' चलाई मे दिक्कत बुझा रहल अछि। ई देख परिजन सभ नेना के निजी क्लिनिक म' इलाज करेलनी जाही ठाम शुरुआती जांच म' नेना म' पोलियों केर लक्षण पाओल गेल अछि।

पोलियों केर लक्षण क' देखते नेना क' हाजीपुर सदर अस्पताल भेजल गेल अछि। नेना क'  देखते असपताल केर चिकित्सक सभ के आशंका भेल कि भ  सकैत अछि जे नेना म' पोलियो केर लक्षण होय एही लेल नेना क' जांच करेबाक लेल चेन्नई भेजल जे रहल अछि।  वैशाली सीएस डा. इंद्रदेव रंजन कहला  कि स्टूल जांच भेलाक बादे कुनू ठोस निर्णय लेल जे सकैत अछि।

नेनाक  स्टूल जांच सं पोलियो केर लक्षण साबित भेला पर दुबारा लाखों नेना सभ के पोलियो केर खोराक पियाओल जायत। एही शिकायत के बाद लोग सभक आरोप छैन्ह जे पोलियो के सही दवा नेना सभ के नाइ पियाओल गेल जाही कारण सं नेना म' पोलियो केर लक्षण पाओल गेल अछि।  सरकारक  करोड़ों अार अरबो टक्का पोलियो उन्मूलन पर खर्च केलाक बावजूदो पोलियो के मरीज मिलब सरकार अार जिला स्वास्थ विभाग केर अभियान पर सवाल उठी रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ