आय राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव अप्पन 69वां जन्मदिन मना रहल छैथ

पटना, 11 जून। आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव आर राबड़ी देवी के सरकारी आवास 10 सर्कुलर रोड क' आय दुल्हन जोका सजाओल गेल अछि। आय 11 जून के लालू जी 69  बरखक भ गेलाह। पटना शहर तँ पहिने सँ लालू जीक जन्मदिनक बधाई बला बैनर सँ पटल अछि।

गरीबक लेल काज क' रहल अछि महागठबंधन सरकार
एहि मौका पर लालू जी बाजलाह जे नीतीश आर हम भाई छी। महागठबंधनक सरकार के बाद सभ लोग जश्न मना रहल छैथ। नीतीश के नेतृत्व म' महागठबंधनक सरकार गरीबक लेल काज क' रहल अछि। हम आह्वान करब जे सब कियो बीजेपी के साथ छोइर दी।  देशक प्रधानमंत्री आब विदेशक  प्रधानमंत्री बनी गेल छैथ।

लालू परिवारक लेल इ बरख बहुत खास छैक 
लालू प्रसाद यादव के छोटका बेटा तेजस्वी यादव अाब बिहार के उपमुख्यमंत्री छैथ, बरका बेटा तेजप्रताप स्वास्थ्य मंत्री आर बेटी मीसा एखने-एखन राज्यसभा म' पहुंच गेल छथि।  एहि सब कारणे इ बरख लालू जीक लेल बहुत खास छैन्ह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ