पटना, 11 जून। बिहार के लाइफलाइन मानल जाय बला गांधी सेतु पर आय भीषण जाम लाइग गेल छल। पुल के पाया नंबर 46 केर स्पैन म' गड़बड़ी अएबाक कारण पुल पर बहुतो रास गाड़ि फसल अछि। किछ देर पहिने पुलक पाया संख्या 46 केर धसबाक समाद प्राप्त भेल छल, लेकिन लेकिन जखन पुलक देखभाल म' लागल अभियंता सभ पल के जांच केलाह ते स्पैन म' गड़बड़ी के साथे - साथ स्पैन के टुटबाक बात सामना आयल।
स्पैन म' आयल गड़बड़ी के बाद पुल पर यातायात व्यवस्था क' रोइक देल गेल छल, जकरा फिलहाल सुरु क' देल गेल अछि। गांधी सेतु क' उत्तर बिहार के लेल लाइफलाइन मानल जाइत अछि, एहि कारणे पुलक पाया म' आयल गड़बडी के बाद कैको जिला सब सँ पटना के सड़क संपर्क टुइट गेल छल। अभियंता सभक एक दल पटना सँ पुल केर पाया नंबर 46 म' आयल गड़बड़ी क' जांचबाक लेल पहुँच गेल अछि। पुल पर भीषण जामक समस्या के साथे - साथ कैको एंबुलेंस आर गाड़ि सभ सेहो फसल अछि जे अस्थिर - अस्थिर आगू बढ़ी रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।